🌹जय जानकी🌹
बैसारक कार्यवाही
समस्त सीतानुजकेँ सादर प्रणाम 🙏
आइ, दिनांक 08/12/2024, दिन- रविवारकेँ संस्थाक अध्यक्ष सीतानुज डॉ अवधेश झा जीक अध्यक्षता मे माछक कार्यालय पर कार्यकारिणीक बैसार संपन्न भेल l बैसारक प्रारंभ भगवतीक वन्दना सँ कयल गेल तत्पश्चात निम्न बिन्दु पर विचार- विमर्श आओर सर्वसम्मतिसँ निर्णय भेल-
I) तीसम विद्यापति स्मृति-पर्व समारोहक सफल आयोजन हेतु सर्व सम्मतिसँ विभिन्न समितिक गठन भेल l
II) सीतानुज धनंजय सब द्वारा धन संग्रहक प्रगति पर बातचीत भेल l बाँचल मैथिलजन सँ यथाशीघ्र संपर्क करबाक आग्रह कयल गेल l
III) समारोह लेल प्रसाद /भोजनक व्यवस्था पर विचार विमर्श कयल गेल आ सर्वसम्मतिसँ निर्णय भेल जे सामान खरीद कs हलुआइ राइख 500 व्यक्ति लेल खेनाइ बनत l प्रसाद वितरणक शुभारंभ राइत 9.15 बजे सँ होयत l प्रसाद रूपमे – पूरी, सुखा सब्जी (आलू, गोभी, मटर, टमाटर आदिक मिक्स), शाही पनीर, भात, दाइल, पापड़, रायता आओर बुनिया रहतl
IV) समारोह अवधि मे तीन बेर चाय आओर सांझ मे 6.30 बजे किछु नास्ताक वितरण होयत l नास्ता मे एक -एकटा समोसा, आलू चॉप, लड्डू आओर सेवई रहत l
V) समारोह मे मैथिल समाजक जाहि धिया- पूताकेँ अहि वर्षक 10म आ 12म वर्गक बोर्ड परीक्षा मे 90℅ सँ ज्यादा अंक प्राप्त भेलन्हि हुनका सम्मानित कयल जेतन्ह l
VI) अगिला बैसार अगिला रइवकेँ होयत l
बैसारक अंत मे अध्यक्षीय उद्वोधन आ सचिव द्वारा औपचारिक धन्यवाद देल गेल l
नोट: समारोह आब नजदीक अछि तें शाब्दिक सहयोग सँ ज्यादा शरीरिक सहयोगक अवश्यकता अछि, निःसंदेह आर्थिक सहयोग तs अतिआवश्य अछिए l
सादर धन्यवाद 🙏
सीतानुज डॉ धर्म नाथ झा
(सचिव, मि.सां.सं)
जय जानकी🌷, जय मैथिली🌷, जय मिथिला🌷